मुजफ्फरपुर सं 30 लाखक गांजा’क संग दू टा तस्कर गिरफ्तार

    0
    279

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर रेलवे स्टेशन सं छापेमारी के दौरान 103 किलो गांजा सहित दू गोट तस्कर के गिरफ्तारीक बात प्रकाश मे आयल अछि। सूत्रक अनुसार रेलवे स्टेशन सं गुप्प्त सूचनाक आधार पर डीआरआई के टीम कवि गुरू एक्सप्रेस ट्रेनक डिब्बा मे छापामारी कय 103 किलो गांजा सहित दू टा तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, जब्त गांजा के कीमत अंतर्राष्ट्रीय बाजार मे तीस लाख आंकल गेल अछि।जब्त गांजा पश्चिम बंगाल के अलीपुर सं मुजफ्फरपुर होइत जयपुर लय जा रहल छल।