350’म प्रकासपर्वक सुरक्षा व्यवस्थाक लेल सड़क पर उतरलाह मनु महाराज

    0
    257

    पटना, मिथिला मिरर: एक जनवरी सं 5 जनवरी धरि चलय वला 350’म प्रकासपर्वक सुरक्षा आ शांति व्यवस्था के सुदृढ़ करबाक लेल सीनियर एसपी मनु महाराज आ एएसपी राकेश दुबेक नेतृत्व मे पटना पुलिसक फ्लैग मार्च शुरू भेल।

    मंगल पोखरि सं शुरू भेल ई मार्च पटना सिटीक तमाम इलाका मे पहुँचत। गुरु पर्वक तैयारी के लेल ई फ्लैग मार्च निकालल गेल। सुरक्षा व्यवस्थाक मुकम्मल जांच आ इलाका मे गश्त के बढेबाक कवायद के लेल ई फ्लैग मार्च शुरू कायल गेल अछि।