सुपौलक छातापुर मे सरकारक विरोध मे भाकपाक प्रदर्शन

    0
    277

    सुपौल, मिथिला मिरर, सोनु कुमार भगत/ रवि रौशन कुमार: छातापुर प्रखंड मुख्यालय पर महगाई , बेरोजगारी, आतंकवाद, भ्रष्टाचार आदिक विरोध मे भाकपा एक दिवसीय धरना प्रदर्शन केलक। प्रदर्शन कार्यक्रम के बाद पार्टी कार्यकर्ता अंचल सचिव कामरेड रधुनन्दन पासवान के नेतृत्व मे प्रखंड विकाश पदाधिकारी के 29 सूत्री मांग पत्र समर्पित केलनि।

    मुख्यालय स्थित यात्री शेड मे आयोजित धरना प्रदर्शन कार्यक्रम के संबोधित करैत अंचल सचिव कामरेड रधुनन्दन पासवान कहलनि जे, सरकारक गलत आर्थिक नीति के कारण आमजन परेशान छथि। बढ़ैत महंगाई गरीबक कमर तोड़ि देलक अछि। एकर बाबजूद केंद्र सरकार हाथ पर  हाथ धरि बैसल अछि।

    अहि मौका पर भाकपा माले के जिला सचिव जय नारायण यादव,  रामप्रवेश  पासवान, लाल यादव, शंकर पासवान, जगदेव यादव, बेचैन सिंह, रमेश कुमार राम, सुरेंद्र ठाकुर, विद्यानंद पासवान आ बाबु लाल उरांव आदि मौजूद छलाह।