ट्रकक टक्कर सं मोटरसाइकिल सवार तीन गोट युवकक मौत

    0
    282

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: बिहारक कटिहार के पोठिया थाना क्षेत्र मे स्टेट हाइवे 77 पर एकटा अनियंत्रित ट्रक द्वारा कुचलला सं एकटा मोटरसाइकिल पर सवार तीन गोट युवकक घटनास्थल पर मौत भय गेल। घटना बृहस्पति दिन साँझक अछि।

    पुलिस अधीक्षक सिद्धार्थ मोहन जैन के अनुसार मृतक मे नरहिया गाम निवासी बुलबुल मंडल, बीसो मंडल आ मुन्ना यादव यादव शामिल अछि। सभक उम्र लगभग 25 वर्ष छल। ओ कहलनि जे, अहि हादसा के बाद ट्रक चालक आ खलासी वाहन छोड़िकय फरार भय गेल।

    जैन के अनुसार हादसा स आक्रोशित स्थानीय लोक मुआवजाक मांगक लेल राज्य उच्चपथ संख्या 77 के करीब डेढ घंटा जाम कय देलक। पुलिस घटना स्थल पर पहुच कय ट्रक के जब्त कय लेलक अछि। पोठिया थाना छेत्रक अहि घटना मे बृहस्पति दिन देर राति लहासक पोस्टमार्टम करबाओल गेल।