रहस्यमयी बीमारी सं तीन गोटेक मौत, 25 एखनहु बीमार

    0
    345

    सारण, मिथिला मिरर: सारण जिलाक दाउदपुर थाना अन्तर्गत जैतपुर गाम मे रहस्यमयी बीमारी सं तीन गोटेक मौत भय गेल। सूत्रक अनुसार हेपेटाईटिस बी स मिलैत-जुलैत लक्षण बला अहि रोग सं एक-एक क लोक बीमार भय रहल अछि आ मरि रहल अछि।

    लगातार भय रहल मौत के बादो स्वास्थय विभाग एखन धरी अहि मामला मे कोनो कार्रवाई नहि केलक अछि। बीमार भय रहल लोकक सदर अस्पताल मे एबाक सिलसिला जारी अछि। सदर अस्पतालक चिकित्सक मौतक बात स्वीकार केलनि हालांकि हुनको लग मामलाक अधिकारिक सूचना नहि छन्हि।

    चिकित्सक कहलनि ‘जे मरीज आबि रहल छथि हुनकर जांच कायल जा रहल अछि। मृतक मे गाम के निकेश, नेहा आ आदित्यक नाम शामिल अछि, जाहि मे नेहा आ निकेश एकहिं परिवारक छथि।