मधुबनी कें तीन परीक्षा केंद्र सं सात गोट नकली परीक्षार्थी गिरफ्तार

    0
    299

    मधुबनी, मिथिला मिरर: इंटरमीडिएट परीक्षा मे नकली परीक्षार्थीक गिरफ्तारीक दौर रुकबाक नाम नहि लय रहल अछि। इंटरमीडिएट परीक्षा के तेसर दिन बृहस्पति दिन जिला स्थित तीन गोट परीक्षा केन्द्र सं सात टा नकली परीक्षार्थी के परीक्षा दैत गिरफ्तार कायल गेल। बाद मे गिरफ्तार परीक्षार्थी कें संबंधित थानाक हवाले कायल गेल। नकली परीक्षार्थी के पकड़बाक लेल मध्य विद्यालय पंडौल परीक्षा केन्द्र एखन धरि अव्वल रहल अछि।

    बृहस्पति दिन मवि पंडौल परीक्षा केन्द्र स चारि टा नकली परीक्षार्थी पकड़ल गेल। अहि के संग तीन दिनक परीक्षा मे अहि परीक्षा केन्द्र सं छह गोट नकली परीक्षार्थी पकड़ाओल अछि। बृहस्पति दिन इस्लामियां मदरसा भौआड़ा स दू टा नकली परीक्षार्थी तथा के. कपिलदेव पब्लिक स्कूल कैटोला परीक्षा केन्द्र स एक गोट नकली परीक्षार्थी के गिरफ्तार कायल गेल। मध्य विद्यालय पंडौल परीक्षा केन्द्र सं बृहस्पति दिन परीक्षार्थी अरविन्द कुमार यादव के बदले फर्जी परीक्षार्थी देवेन्द्र कुमार मंडल के परीक्षा दैत पकड़ल गेल। अहि परीक्षा केन्द्र सं अजीत कुमार साह के बदले अजीत कुमार यादव, परीक्षार्थी घनश्याम कुमार के बदले चन्द्र मोहन प्रसाद तथा परीक्षार्थी सूर्य नारायण यादव के बदले फर्जी परीक्षार्थी पप्पू कुमार यादव के गिरफ्तार कायल गेल।

    इस्लामियां मदरसा, भौआड़ा परीक्षा केन्द्र स परीक्षार्थी राजेश कुमार राम के बदले महेश कुमार राम तथा राम नरेश कुमार मंडल के बदले संजय कुमार के परीक्षा दैत पकड़ल गेल। ओतहि के. कपिलदेव पब्लिक स्कूल, भौआड़ा परीक्षा केन्द्र स परीक्षार्थी छेदी कुमार दास के बदले फर्जी परीक्षार्थी जय प्रकाश कुमार के परीक्षा दैत पकड़ल गेल।