सड़क पर नाली’क पानि बहला सं ग्रामीण परेशान

    0
    356

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत ब्रह्मपुरा मसवासी पंचायतक ब्रह्मपुरा गाम मे पांच वर्ष पूर्वहि नालीक निर्माण कायल गेल, मुदा पानिक निकलबाक कोनो रास्ता नहि अछि। बहुतो जगह नाली क्षतिग्रस्त भय चुकल अछि, जाहि सं नालीक गन्दा पानि सड़क पर बहैत अछि। जकर खामियाजा समुच्चा गामीण के भोगय पड़ैत छन्हि।

    जहन अहि विषय मे पंचायतक मुखिया बेबी देवी सं बात कायल गेल त ओ कहलनि जे, एखन कोनो सरकारी योजना नहि आयल अछि, योजना अबितहि अहि पर गंभीरता सं कार्य कायल जायत।