तर्पण करबा काल दू गोट चचेरा भाई के नदी मे डूबला सं मौत

    0
    373

    मधुबनी, मिथिला मिरर-सुजीत झा: मधुबनीक हरलाखी थाना क्षेत्रक हरिणे गाम मे बेलेंती नदीक बहाव मे तर्पण करबाक लेल गेल दू गोट चचेरा भाई के डूबि कय मौत भय जेल। हालांकि एखन धरि लहास नहि भेटल अछि।

    सूत्रक अनुसार दूनू हरिणे गामक स्व.रामलखन साहक 16 वर्षीय पुत्र राजीव कुमार साह एवं स्व. रामरतन साह के 18 वर्षीय पुत्र नरेश कुमार साह छलाह। घटना स्थल पर पुलिस कैंप कय रहल अछि। घटना शनिदिन भोर  7 बजे के बताओल जा अछि।