नेपालक वर्षा बढ़ौलक बिहारक चिंता, कोसी तटबंध पर कटाव भेल तेज

    0
    256

    सुपौल, मिथिला मिरर: नेपाल के पहाड़ी क्षेत्र मे लगातार भय रहल तेज वर्षा सं सुपौल मे कोसी’क तटबंध के किछु स्थान पर फेर सं दवाब बननाय शुरू भय गेल अछि। नदी के तेज बहाव स कोसी के पूर्वी तटबंध आ पूर्वी बहोत्थान बांध पर बहुतो ठाम भारी दबाव बनि रहल अछि। अहि स्थान पर कटाव तेज भय गेल अछि। कोसी नदी के नेपाल प्रभाग मे पड़य वला पूर्वी बहोत्थान बांध के 26.40 किलोमीटर आ 27.10 किलोमीटर स्पर पर कटाव तेज अछि।

    ओतहि पूर्वी तटबंध के पूर्व स चिन्हित 10 किलोमीटर स्पर पर मंगलदिन स कटाव तेज होबय के कारण अभियंता सब परेशान छथि। अहि बाबत पूर्वी तटबंध के 10 किलोमीटर पर जल संसाधन विभाग आ वीरपुर अनुमंडल प्रशासन के देखरेख मे कटाव निरोधी कार्य तेज कय देल गेल अछि।

    हालांकि युद्ध स्तर पर राहत कार्य कायल जा रहल अछि, ओतहि कार्यस्थल पर मौजूद मुख्य अभियंता जल संसाधन विभाग सेहो हालात पर किछु कहबा सं बचैत नजरि आबि रहल छथि।