मधुबनी बस दुर्घटना पर प्रधानमंत्री व्यक्त केलनि दुःख, मृतकक संख्या बढि कय 36 भेल

    0
    346

    मधुबनी, मिथिला मिरर: प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी मधुबनी जिलाक बसैठ मे भेल बस दुर्घटना पर दुःख व्यक्त केलन्हि। नरेन्द्र मोदी ट्वीटर के माध्यम सं कहलनि जे, दुखक अहि घरी मे हम शोक संतृप्त परिवारक संग छी।

    ज्ञात हो कि सोमदिन ग्यारह बजेक करीब मधुबनी सं सीतामढ़ी जाय घरी मे एकटा यात्री बस बेनीपट्टी बसैठ मे साईकिल सवार के बचेबा घरी मे अनियंत्रित भय गेल आ विशाल पोखरि मे खसि पड़ल। जाहि मे एखन धरि 36 टा लहास के निकालल जा चुकल अछि। जहन कि बचाव दल एखनहु पोखरि मे लहासक खोज कय रहल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, बस मे 50 सं अधिक यात्री सवार छल।