तीन बच्चा’क माँ के भगाबय वला आरोपी के संग देलक पुलिस

    0
    275

    मधुबनी, मिथिला मिरर: सुनि कय आश्चर्य लागत जे, मधुबनी नगर थाना मे आई कैल्ह केस के आईओ (इनवेस्टिगेशन अफसर) जज जेना फैसला सुना रहल अछि। ताजा मामला सहरसा के बनगांव थानाक अछि, जतय तीन बच्चाक मां के फोन पर प्यार भय गेल आ मधुबनी नगर थाना सं सटल लकड़ी दुकानदार के संग भागि कय मधुबनी चलि एलीह।

    अहि विषय मे सहरसाक बनगांव थाना मे 106/16 मामला दर्ज कायल गेल। पुलिस तत्परता देखबैत महिला आ आरोपी के गिरफ्तार कय लेलक, मुदा मधुबनी नगर थाना मे बनगांव थाना सं आयल आईओ राजकुमार ठाकुर युवक के थान सं बाइज्जत बरी कय देलक। आ आरोपी विवाहिता के संग लय क चलि गेल।

    ताज्जुबक गप्प ई जे, आईओ कहलनि जे, युवक पर कोनो आरोप नहि बनैत अछि, ताहि दुआरे छोड़ल गेल। ऐना मे नगर थाना मे भेल ई पंचायत शहरक कानून व्यवस्था पर सवाल उठा देलक अछि।