लड़की सं दुष्कर्मक बाद चलैत ट्रेन सं फेक देलक बाहर

    0
    276

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर-मुजफ्फरपुर रेलखंड पर ट्रेन मे एकटा लड़की संग दुष्कर्म के बाद चलैत ट्रेन सं फेकबाक गंभीर मामला प्रकाश मे आयल अछि। सूत्रक अनुसार सोमदिन साँझ मे लड़की के रेलखंडक निकट गंभीर अवस्था मे पाओल गेल। जकरा बाद स्थानीय लोकक मददि सं लड़की के नजदीकी सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जतय प्राथमिक चिकित्सा के बाद लड़की के पीएमसीएच रेफर कायल गेल।

    जानकारीक अनुसार घटना मुजफ्फरपुर सं समस्तीपुर आबि रहल ट्रेन मे भेल। जतय दुष्कर्मक बाद लड़की के धर्मपुर के निकट रेलखंड पर फेंक देल गेल। सूत्रक अनुसार लड़की के माँथ मे गंभीर चोट लागल अछि। ओतहि जीआरपी प्रभारी एकरा दुष्कर्मक मामला बतेबा सं मना कय रहल छथि।