पूर्व मंत्री’क बेटा निकलल शराब तस्कर, पटना पुलिस केलक गिरफ्तार

    0
    386

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना सं पुलिस शराबक तस्करी के आरोप मे राज्य के एकटा पूर्व मंत्री’क बेटा के गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस पूर्व पशुपालन मंत्री विद्या सागर निषाद के बेटा के शराबक खेप के संग गिरफ्तार केलक अछि। पटना के जक्कनपुर थाना पुलिस लखन निषाद के ओहि समय गिरफ्तार केलक अछि, जहन ओ शराबक बोतल ककरो सप्लाई करबाक लेल जा रहल छल।

    फिलहाल जक्कनपुर थाना पुलिस गिरफ्तार पूर्व मंत्री’क बेटा सं पूछताछ कय रहल अछि। पुलिस के आशंका अछि जे, पूर्व मंत्री’क बेटा बहुत पहिने स शराबक तस्करी मे शामिल छल आ आरोपी के संग कोनो रैकेट अछि जे, शराबक तस्करी करैत अछि।