बिहार सरकारक मुआवजा लेबा सं मना केलक शहीदक परिजन

    0
    397

    छत्तीसगढकें सुकमामे भेल नक्सली हमलामे शहीद अभयकें परिजन बिहार सरकार द्वारा देल गेल मुआवजाक राशि लेबा सं इंकार कए देलनि। परिजनक कहब अछि जे, कोनो दुर्घटना या अैवध शराब पीबि कय मरए वलाकें सरकार 4 लाख रुपैया दैत अछि, अभय त देशक लेल शहीद भेल अछि। एहेनमे शहीदक परिजनकें मात्र 5 लाख रुपैया कियैक?

    शहीदक परिजन अहि बात सं तमसाएल अछि जे, सरकार शहीदक सम्मान तक नहि केलक। जिला प्रशासनक दिस सं महुआ एसडीओ चेक देबाक लेल परिजन लग पहुंचल छलाह जिनका परिजन चेक वापस कए देलक आ ओ बैरंग वापस आबि गेलाह।

    गौरतलब अछि जे, बिहारक वैशली जिलाक रहए वला अभय कुमार छत्तीसगढ़मे नक्सली हमलामे शहीद भेल छलाह। एक साल पहिनहि शहीदक बियाह भेल छल।