कैश वैन सं भय रहल छल शराबक तस्करी, साढ़े आठ लाख नगदी’क संग चारि गोटे गिरफ्तार

    0
    297

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे एसटीएफक टीम शराब तस्करी करय वला एकटा गिरोह के पकड़लक अछि। ई गिरोह शराबक तस्करीक लेल नव तरीका के सहारा लैत छल। गिरोहक सदस्य सिक्यूरिटी एजेंसीक कैश वैनक आड़ मे शराबक खेप बिहार मे लय जेबाक काज करैत छल। पुलिस कार्रवाई करैत एकटा सिक्यूरिटी एजेंसी जेड एक्स प्लस सिक्यूरिटी सर्विसेज के कैश वैन स 200 कार्टून विदेशी शराब बरामद केलक अछि।

    ई बरामदगी वैशालीक जुड़ावनपुर आ पटना के खुसरुपुर स भेल अछि। शराबक खेप हरियाणा स बिहार आनल जा रहल छल। अहि गिरोह के संग सं 8.30 लाख रुपैया सेहो जब्त कायल गेल अछि।

    कैश वैनक आगू पाछु दू टा लग्जरी कार लाइनर बनिकय चलैत छल, मुदा एसटीएफ के पहिने गिरोहक विषय मे सूचना भेटल छल जाहि के आधार पर ई कार्रवाई कायल गेल छल। पुलिस गिरोहक चारि टा सदस्य के गिरफ्तार केलक अछि।