मुजफ्फरपुर मे शिक्षक दंपति’क चाकू मारि कय हत्या

    0
    264

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे अपराधक घटना रुकबाक नाम नहि लय रहल अछि। मुजफ्फरपुर के सकरा थाना क्षेत्र के गन्नीपुर बेझा गाम मे अपराधी शिक्षक दंपति के चाकू मारि कय हत्या कय देलक।

    पुलिस सूत्रक अनुसार, जिला के गन्नीपुर बेझा गाम निवासी आ शिक्षक सुरेश प्रसाद सिंह के घर मंगलदिन देर राति अपराधी घुसि गेल। बताओल जा रहल अछि जे, अपराधी सुतले मे सुरेश आ हुनक पत्नी मधुबाला के चाकू मारि कय हत्या कय देलक।