दरभंगा मे एसटीएफ पकड़लक शराब लादल ट्रक

    0
    282

    दरभंगा, मिथिला मिरर: होली सं ठीक पहिने बिहार मे शराब माफिया सक्रिय भय गेल अछि। राज्यक बहुतो इलाका मे शराब माफिया आ पुलिसक बीच पकड़ा-पकड़िक खेल चलि रहल अछि। ताजा मामला दरभंगाक अछि जतय एसटीएफ के टीम शराब सं भरल ट्रक जब्त केलक अछि। शराब तस्कर होली स पहिने मोट कमाई के लेल रोज़ नव-नव तरीका स बिहार मे शराब आनि रहल अछि। अहि बेर सेहो तस्कर शराबक ढुलाई के लेल ट्रक मे तहखाना बना रखने छल।

    दरभंगा मे मब्बी थाना अंतर्गत एनएच 57 स एसटीएफ के जवान एकटा ट्रक स भारी मात्रा मे शराब बरामद केलक। गुप्त सूचनाक आधार पर एसटीएफ ट्रक के जब्त केलक आ ट्रकक ड्राइवर के गिरफ्तार कय लेलक। शराब कें हरियाणा स सुपौल लय जा रहल छल। शराबक कीमत बीस लाख आंकल जा रहल अछि। पकड़ल गेल ट्रक ड्राइवर स पूछताछ के बाद पुलिस ओरो लोकक गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कय रहल अछि।