सौतेली मां’क कुकृत्य, डेढ़ सालक बच्चा के गला दाबि केलनि हत्या

    0
    291

    सुपौल, मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगत\रवि रोशन कुमार: छातापुर प्रखंडक रामपुर पंचायतक इंदरपुर गाम मे एकटा सौतेली मां डेढ़ वर्षीय अबोध बालक के गला घोंटिकय मारि देलनि, आ शव के घर स महज दस कदमक दूरी पर खाधि मे फेक देलनि। सौतेली माँक अहि कुकृत्य स समुच्चा गाम मे हड़कंप मचल अछि, जाहि स ग्रामीण आक्रोशित छथि।

    सूत्रक अनुसार रामपुर निवासी मो. समद के दोसर पत्नी जैतून खातून अपन पतिक पहिल पत्नी कोरेशा खातून स बेसी ईर्ष्या करै छली। अहि क्रम मे पतिक अनुपस्थित हेबाक मौका पाबि ओ अप्पन सौतेला बेटा के गला घोंटि कय मारि देलनि। बताओला जा रहल अछि जे, पतिक अनुपस्थित आ कोरेशा खातून के खेत चलि गेलाक बाद घटना के अंजाम देल गेल।

    जहन बच्चीक मां कोरेशा खातून खेत स वापस ऐली त बच्चाक खोज केलनि मुदा बच्चाक कोनो पता नहि चलल। बाद मे बच्चाक सौतेली मां जैतून कहलनि जे खेलाई काल मे बच्चा खाधि मे खसि पड़ल। बाद मे ग्रामीणक कराई करबाक बाद जैतून कबुल केलनि जे बच्चाक हत्या हम केलहु। बाद मे जैतून के खिलाफ छातापुर थाना मे मामला दर्ज कराओल गेल, जकरा बाद पुलिस द्वारा जैतून खातून के गिरफ्तार कय न्यायिक हिरासत मे सुपौल भेजल गेल।