छात्रवृति मे कटौतीक लय दरभंगा कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग के छात्रक प्रदर्शन

    0
    339

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: स्टूडेंटस फेडरेशन ऑफ इंडिया (एसएफआई) के बैनर तर छात्र नेता मो. गुलफ़राज़क नेतृत्व मे मंगलदिन दरभंगा कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग के सैकड़ो छात्र-छात्रा छात्रवृति राशि मे कटौती के खिलाफ लहेरियासराय टावर सं जिला कल्याण पदाधिकारी के कार्यालय तक पैदल मार्च करैत जिला कल्याण पदाधिकारी दरभंगा के खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलनि।

    मार्च के बाद छात्र नेता राजेश प्रसादक अध्यक्षता मे एकटा सभा के आयोजन कायल गेल। सभा के संबोधित करैत एसएफआई के जिला संयोजक मुकुल राज कहलनि जे, बिहार सरकार द्वारा तकनिकी छात्रक 15000 रुपैया छात्रवृति के रूप मे निर्धारित कायल गेल छल, जकरा जिला कल्याण पदाधिकारी दरभंगा के द्वारा छात्रवृतिक राशि मे कटौती कायल जा रहल अछि। अहि कटौती के छात्र बर्दाश्त नहि करत। ओ कहलनि जे, जा धरि हमर मांग पूरा नहि होयत ता धरि हम सब आंदोलन जारी राखब। सभा के रोहित, प्रणव, हेलाल अहमद, कदीर, मुकेश कुमार, विक्की, कृष्णा इत्यादि संबोधित केलनि।