राजदेव रंजन हत्या मामला मे शहाबुद्दीन आ तेजप्रताप सं जबाब मंगलक सर्वोच्च न्यायालय

    0
    292

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार के सीवान मे भेल पत्रकार राजदेव रंजन के हत्याक मामला मे सर्वोच्च न्यायालय सख्ती दिखौलक अछि। अहि मामला के सुनवाई के बाद न्यायालय बिहार सरकार, बाहुबली मो. शहाबुद्दीन, स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव आ सीबीआई समेत सीवान एसपी आ थानेदार के नोटिस जारी केलक अछि।

    न्यायालय दू सप्ताह के अंदर जवाब देबाक लेल कहलक अछि। शुक्रदिन राजदेव रंजन के पत्नी आशा रंजन के याचिका पर न्यायालय मे सुनवाई भेल। जानकारी के मुताबिक राजदेव’क पत्नी आशा रंजन याचिका मे शहाबुद्दीन आ तेजप्रताप पर एफआईआर दर्ज करबाक मांग केलनि।

    सर्वोच्च न्यायालय सुनवाई के दौरान राजनेता आ अपराधी के साठगांठ पर चिंता सेहो जतौलक अछि।सुनवाई के दौरान न्यायालय सीबीआई स 17 अक्टूबर तक अहि केसक स्टेटस रिपोर्ट मंगलक अछि। ज्ञात हो कि बिहार के सीवान मे 13 मई कय एकटा दैनिक अखबारक पत्रकार राजदेव रंजन के हत्या कायल गेल छल।