समस्तीपुर मे पानिक लेल जमिकय चलल लाठी-डंडा

    0
    319
    बताओल जा रहल अछि जे, गामक मनोज दासक घर के समीप सरकारी चापाकल लागल अछि। सब ओहि चापाकल स पानि पिबैत अछि। मनोज के अनुसार चापाकल ख़राब भेलाक बाद कियो ठीक नहि करबैत अछि, जाहि सं पानीक समस्या उत्पन भय जाइत अछि। मनोज असगरे चापाकल के ठीक करबैत अछि। अहि दौरान हरिदासक परिजन पानि लेबाक लेल पहुँचल त मनोज दासक परिजन खर्चक मांग केलक। अहि बातक लेल हरिदास आक्रोशित भय गेल आ मनोजक घर मे घुसि कय जमि कय मारिपीट करय लागल।
    पीड़ित मनोज दास अहि घटनाक लिखित शिकायत बिभूतिपुर थाना के देलक अछि। पुलिस मामला दर्ज कय करवाई शुरू कय देलक अछि।