विश्व स्तर पर मिथिलाक नाम रौशन केलनि रूपाली

    0
    290

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला जानकीक धरती थिक आ अहि धरती पर एकसँ बढ़ि कऽ एक बेटी सब जन्म लऽ मिथिलाक अहि भूमिक नाम स्वर्ण आखरमे दर्ज करावैत रहली अछि। चाहे धरतीक कोखिसँ जन्म लेवाक बात हो आ कि भारतक लड़ाकू विमान उड़ेवाक जिम्मेदारी, सब ठाम मैथिलानी अपन दायित्वक निर्वहण करैत रहलीह अछि। अहि सूचीमे एकटा नाम आओर जुटी गेल आ ई नाम छैन्ह रूपाली झा केर।
    मूल रूपसँ बिहारक मिथिला क्षेत्रक बेगूसराय जिलाकेँ सूजा पंचायतक अनील झा केर पुत्री रूपाली भारतीय टीमक प्रतिनिधित्व करैत समुच्चा विश्व भरिमे तेसर स्थान हासिल कऽ अपन देश आ मिथिलाक नाम रौशन केलीह। आॅस्ट्रियामे संपन्न भेल ‘‘स्पेशल ओलंपिक विंटर 2017 केर फ्लोर हाॅकीमे’’ कास्य पदक जीतवामे सफल रहलीह। ओना तऽ रूपाली बाजि आ सुनि नहि सकैत छथि मुदा जे जाहि तरहक कार्य रूपाली मिथिला आ भारतक लेल कऽ देलीह निश्चित रूपहि अहिसँ संपूर्ण भारतवंशीके माथ दुनियामे आओर बेसी उठल अछि।
    आॅस्ट्रिया सँ भारत एला पर पूरा टीमक संग रूपालीक स्वागत कैल गेलनि। पूरा भारतवासीक संग-संग रूपालीकेँ मिथिला मिरर परिवारक दिससँ सेहो कोटि सह बधाई आ शुभकामना।