सरकारी नोकरीमे आरक्षण’क मांग लए राष्ट्रीय सवर्ण मोर्चाक धरना

    0
    320

    मधुबनी, मिथिला मिरर: आरक्षणकें मांग लय राष्ट्रीय सवर्ण मोर्चाकें तत्वावधानमे समाहरणालयक समक्ष प्रो. अमरेश श्रीवास्तवक अध्यक्षतामे धरना देल गेल। धरनाकें संबोधित करैत वक्ता सब कहलनि जे, सवर्णक स्थिति सर्वाधिक दयनीय अछि। आरक्षण जातिगत आधार पर देल गेल जाहि सं सरकारी व्यवस्थामे दर्ज तथा कथित फारवर्ड वर्गक लोकक गरीबी, भुखमरीक अनदेखी कय देल गेल अछि।

    गरीब सवर्णक बच्चामे निराशा अछि। गरीब सवर्णक बच्चाकें सेहो सब सरकारी नौकरीमे आर्थिक आधार पर आरक्षणक मांग करैत वक्ता सब कहलनि जे, सवर्णक व्यापक समस्याकें निराकरणक लेल सरकारकें पहिने पहल करबाक जरूरत अछि। उपेक्षित सवर्ण समाजक समस्याकें दूर करबाक लेल व्यापक स्तर पर योजना बनेबाक जरूरत अछि। सवर्ण समाज निराशा भरल जीवन जीबि रहल अछि। जल्दिये समाधानक आवश्यकता अछि।