मधुबनी मे गैंगरेपक मुख्य आरोपी गिरफ्तार

    0
    288

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक हरलाखी प्रखण्ड मे 11 अगस्तक राति मे एकटा महादलित नाबालिग लड़कीक संग भेल गैंगरेप मामला मे पुलिस के सफलता हाट लागल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, पुलिस मुख्य आरोपी राधेश्याम साह के गिरफ्तार कय पूछ-ताछ कय रहल अछि। हांलाकि एखन धरि एकटा अन्य आरोपी फरार अछि।

    ज्ञात हो कि 11 अगस्त के राति मे आर्केस्ट्रा देखई लेल गेल नाबालिग के जबरदस्ती मुंह बंद कय आमक गाछी मे लय जा दुष्कर्म करबाक घटना प्रकाश मे आयल छल। थानाध्यक्ष संजय कुमार बतौलनि जे, जल्द सं जल्द दोसर आरोपी के सेहो गिरफ्तार कायल जायत।