रामकुमार राय बनाओल गेलाह भाजपाक सुपौल जिलाध्यक्ष

    0
    350

    सुपौल, मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगत: भारतीय जनता पार्टी रामकुमार राय के सुपौल जिलाध्यक्ष नियुक्त केलक अछि, जाहि सं पार्टी कार्यकर्ता मे खुशी व्याप्त अछि। अहि अवसर पर भाजपा जिला महामंत्री प्रो. बैद्यनाथ प्रसाद भगत, सियाराम भगत, मंडल अध्यक्ष सुशिल प्रसाद कर्ण, राम टहल भगत, गौरी भगत, शिव कुमार भगत, पप्पू भगत, संजीव भगत आदि खुशी व्यक्त करैत कहलनि जे, रामकुमार राय के जिलाध्यक्ष बनेला सन पार्टी के जनाधार बढ़त एवं पार्टी मे नव उर्जाक संचार होयत।