मुख्यमंत्री आवास 1 अण्णे मार्ग कें बाहरक फोटो वायरल, सच आ कि झूठ?

    0
    385

    दिल्ली-मिथिला मिररः सोशल मीडिया पर एखन बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सरकारी आवास 1 अण्णे मार्गक बाहरक एकटा कथित फोटो सोशल मीडिया पर बहुत बेसी वायरल भय रहल अछि। फोटोमे देखा रहल अछि कि मुख्यमंत्री अवासक बगलमे आम लोक नीयमित रूप सं शौच करैत अछि आ ओहिठाम जबरदस्त गंदगी पसरल छै। एतबे नहि जे फोटो सोशल मीडिया पर आएल अछि ओहिमे एकटा व्यक्तिकें शौचाअवस्थामे सेहो देखाओल गेल अछि।
    मिथिला मिरर अहि खबैरकें प्रमाणिकता कें सत्यापित त नहि करैत अछि मुदा जौं एहन छैक त एकरा प्रशासनिक बहुत पैघ विफलता मानल जाएत। मुख्यमंत्री आवासक अगल-बगल आ कि पटनाक सब सं संवेदनशील जगह पर जौं एहन तरहक हरकत कैल जा रहल अछि त निश्चित रूपहिं इ फोटो वैश्विक स्तर पर बिहारक छविकें आओर बेसी खराब करवाक कार्य करत। मिथिला मिरर, अपन एकटा प्रतिनिधिकें 1 अण्णे मार्ग भेज कऽ अहि खबैरकें सत्यापित करैत एकटा आओर खबैर लय अपने लोकनिक सोंझा आओत, आ अपने सब कें बताओत कि इ वास्तविक फोटो अछि आ कि कोनो तरहक षड्यंत्र।