समस्तीपुरमे बाबा केवलकें प्रतिमा’क निर्माण पुनः शुरू

    0
    279

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिला प्रशासन राजकीय मेला क्षेत्र बाबा केवल स्थानमे निर्माण कार्य पर लागल रोक हटा लेलक अछि। रोक हटितहि बाबा केवल महाराजक 25 फीट ऊंच प्रतिमाक निर्माण काज शुरू भय गेल। जिलाधिकारी प्रणव कुमार एवं अनुमंडलाधिकारी कुमार देवेन्द्र प्रौज्वल द्वारा निर्माण कार्य पर लागल रोक हटितहिं स्थानीय श्रद्धालुमे हर्ष व्यप्त अछि।

    जिलाधिकारी विधायक के पत्रांक 2/2017 दिनांक 9 फरवरी 2017 कें खिलाफ अध्यक्षक अनुमति सं निर्माण कार्यक शिकायत पर एसडीओकें निर्माण कार्य पर रोक लगेबाक आदेश देने छल। ओपी अध्यक्ष शिवकुमार पासवान एसडीओके पत्रांक 299 दिनांक 14 फरवरीकें खिलाफ मेला समितिकें सचिव अर्जुन सहनीकें शीघ्र निर्माण कार्य रोकबाक नोटिस जारी केने छल।

    जानकारी भेटितहि निषाद संघक राष्ट्रीय अध्यक्ष मुकेश सहनी एसडीओ स दूरभाष पर बात कय निर्माण कार्य पर रोक हटेबाक मांग केने छलाह। एसडीओ मेला समितिके अध्यक्ष एवं सचिव द्वारा मेला क्षेत्रमे निर्माण सं कोनो प्रकारक आपत्ति नहि हेबाक प्रमाण पत्र देबा पर रोक हटेबाक आश्वासन देलनि।