बताओल जा रहल अछि जे, नब पुलक निर्माण लेल तकरीबन 40 फीट लंबा पुरान पुल क्षतिग्रस्त करबाक प्रयास कएल जा रहल छल। मुदा पुल टूटि कय खसि पड़ल। राहत आ बचाव काज जारी अछि।
स्थानीय लोकक अनुसार मलबा सं तकरीबन तीन गोटेकें सुरक्षित निकालल गेल, जकर स्थिति दयनीय अछि। पुलक मलबामे एखनहु लोककेँ दबल हेबाक आशंका जताओल जा रहल अछि।
स्थानीय लोकक अनुसार मलबा सं तकरीबन तीन गोटेकें सुरक्षित निकालल गेल, जकर स्थिति दयनीय अछि। पुलक मलबामे एखनहु लोककेँ दबल हेबाक आशंका जताओल जा रहल अछि।
घटनास्थल पर डीएम, एसपी स्वं बचाव आ राहत काजम भिड़ल छथि। स्थानीय लोकक अनुसार हादसाक बाद निर्माण काजमे लागल सब कर्मी मौका सं फरार भए गेल। अहि हादसाक पाछु पुल निर्माण एजेंसी’क लापरवाही बताओल जा रहल अछि।


