नीतीश’क निश्चय यात्रा’क दौरान बेतिया मे हंगामा

    0
    293

    बेतिया, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक निश्चय यात्रा के पहिने दिन बेतिया मे लोकक विरोध के सामना करय पड़ल। मुख्यमंत्री बुधदिन पश्चिम चंपारण के नरकटियागंज सं अप्पन ‘निश्चय यात्रा’क शुरूआत केने छलाह। अहि क्रम मे पहिने दिन बेतिया पहुँचला पर हुनकर ‘चेतना सभा’ मे किछु लोक हंगामा शुरू कय देलक आ नारेबाजी’क संग शोर-शराबा करय लागल।

    हालात के नियंत्रित करैत पुलिस लाठीचार्ज केलक। बेतिया के महाराजा स्टेडियम मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सभा चलि रहल छल। अहि दौरान पाछु लोक हंगामा करय लागल। पुलिस ओहि भीड़ के खदेड़बाक लेल हल्का बलक प्रयोग केलक।

    डीएम आ एसपी लोक के समझा कय स्थिति पर काबू केलनि। अहि दौरान आठ लोक हिरासत मे लेल गेल। अप्पन यात्रा के दौरान नीतीश कुमार बिहारक सब 38 जिलाक दौरा करताह आ ओतय विकास कार्यक जायजा लेताह। बिहार मे भाजपा अहि यात्राक विरोध कय रहल अछि।