मुजफ्फरपुर पुलिस’क गिरफ्त सं फरार भेल विचाराधीन कैदी

    0
    255

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के खुदीराम बोस केन्द्रीय कारा’क विचाराधीन कैदी सोमदिन राति पुलिस के चकमा दय फरार भय गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार जिलाक मनियारी थाना क्षेत्र निवासी मोहम्मद वशीम अपहरण के मामला मे केन्द्रीय कारा मे बंद छल।

    वशीम करीब एक सप्ताह पूर्व सीना मे दर्दक शिकायत केने छल, जाहि के इलाजक लेल अपराधी के श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल छल, जतय स शौच के बहाना बना ओ फरार भय गेल। कैदीक गिरफ्तारी के लेल पुलिस स्टेशन आ बस स्टैंड समेत संदिग्ध ठिकाना पर छापेमारी कायल जा रहल अछि।

    एखन धरि फरार कैदीक कोनो सुराग नहि भेटल अछि, मुदा पुलिसक अनुसार जल्दिये फरार कैदी के गिरफ्तार कय लेल जायत।