मुजफ्फरपुर के चक्कर मैदान मे सेनाक बहाली दौड़ 04 दिसम्बर कय

    0
    332

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक युवक के लेल एकटा नीक खबरि अछि। आगामी 04 दिसंबर सं मुजफ्फरपुर के चक्कर मैदान मे होबय वला सेना बहालीक तैयारी मे एआरओ’क अधिकारी जुटि गेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, अहि बहाली मे उत्तर बिहारक आठ जिला सं हजारोक संख्या मे अभ्यर्थी शामिल हेताह।

    चक्कर मैदान मे दौड़क लेल 400 मीटरक ट्रैक बनेनाय शुरू भय गेल अछि। सेनाक बहाली मे निर्धारित 6 मिनट मे अहि 400 मीटर के ट्रैकक चारि चक्कर लगाबय पड़ैत अछि। दौड़ कम्प्लीट करय वला अभ्यर्थिय के मूल कागजात, आवासीय प्रमाण पत्र तथा शारीरिक जांचक लेल चक्कर मैदान मे अलग-अलग बैच बनत।

    बहाली प्रक्रिया मे मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर, दरभंगा, मोतिहारी, बेतिया, शिवहर, मधुबनी तथा सीतामढ़ी के अभ्यर्थी शामिल हेताह। अहि अभ्यर्थिक जिलावार कागजातक जांच होयत। अहि मे सं सफल अभ्यर्थीक मेडिकल जांच होयत। फिलहाल जिलावार बहालीक तिथिक घोषणा नहि भेल अछि। एआरओ निर्देशक कर्नल विक्रम सिंह गोधारा अभ्यर्थिक कंप्यूटराइज आवासीय प्रमाण पत्र प्रस्तुत करबाक लेल कहलनि।