लोहना रोड-पाली घनश्यामपुर, गौड़ा बौराम-बिरौल-बहेड़ी रेलखंड के पहिल फेजक सर्वे संपन्न, जल्दिये शुरू होयत काज

    0
    503

    दरभंगा, मिथिला मिरर: किछु दशक पहिने बिरौल अनुमंडल मे पूर्व रेल मंत्री ललित नारायण मिश्र द्वारा कायल गेल सराहनीय काज के आगू बढ़ाबैत दरभंगा के वर्तमान सांसद कीर्ति आजाद बृहस्पति दिन दरभंगा जंक्शन पर रेलवे अधिकारीक संग बैसक कय बहुतो योजनाक समीक्षा केलनि। अहि क्रम मे सांसद लोहना रोड-मुक्तापुर भाया घनश्यामपुर-गौड़ा बौराम-बिरौल-बहेड़ी नव रेल लाइनक पहिल फेजक सर्वे पर अधिकारी संग चर्चा केलनि।

    बताओल जा रहल अछि जे, रेल खंडक पहिल फेजक सर्वे पूर्ण भय गेल अछि आ रेलवे विभाग के भेजल  जा चुकल अछि। अधिक आबादी हेबाक कारण रेलखंडक चैड़ाई, स्टेशनक तथा हॉल्टक निर्माण आदि पर ओ अभियंता निर्माण कृपाल सिंह सं विशेष ध्यान रखबाक बात कहलनि।

    लोहना रोड स पाली घनश्यामपुर, गौड़ा-बौराम होईत बिरौल स बहेड़ी, मुक्तापुर तक बनय बला अहि लाइनक भविष्य के देखैत सांसद छोट सं छोट बिन्दुक ध्यान रखबाक बात कहलनि। सांसद कहलनि जे, हमर अथक प्रयास सन रेल मंत्री अहि परियोजना के स्वीकृति देलनि अछि।

    अहि के संग-संग दरभंगा-समस्तीपुर रेलखंडक दोहरीकरण योजना प्रगति पर सेहो सांसद डीआरएम सुधांशु शर्मा तथा मुख्य अभियंता स विस्तृत चर्चा केलनि। सांसद आजाद कहलनि जे, दोहरीकरण कार्यक लेल सरकार स 591 करोड़क रुपैयाक स्वीकृति भेट गेल अछि। ताहि दुआरे कार्य मे विलंब नहि हेबाक चाही आ दू वर्षक भीतर दोहरीकरणक कार्य पूरा हेबाक चाही।