विधायक जीवेश कुमार केलनि पोखरी घाटक शिलान्यास

    0
    303

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: जाले के स्थानीय विधायक जीवेश कुमार मंगलदिन मुख्यमंत्री क्षेत्र विकास योजना अंतर्गत छह लाख पैंसठ हजारक लागत सं रेवढा के पटेल मोहल्ला स्थित प्राथमिक विद्यालय के पोखरि घाटक समारोह पूर्वक शिलान्यास केलनि।

    कर्यक्रम मिथिलाक परंपरा के तहत वैदिक मंत्रोचारण के बीच कायल गेल। अहि अवसर पर डॉ0 निरंजन पुरी, बिनय कुमार झा, राम नरेश चौधरी, विपिन पाठक, प्रहलाद राय, मिथिलेश प्रसाद, भोगेन्द्र सहित बहुतो गणमान्य उपस्थित छलाह।