हथियारक जखिराक संग कुख्यात अपराधी भीम यादवकें गिरफ्तार केलक मधुबनी पुलिस

    0
    349

    मधुबनी ब्यूरो,मिथिला मिरर-पारस ठाकुरः मधुबनी पुलिस कें रविदिन एकटा नमहर सफलता हाथ लागल। जाहिमे कतेको हत्या कांड, लूटपाट आ अपहरण सन संगीन मामला कें आरोपी भीम यादव सहित ओकर पांचटा संगीकें गिरफ्तार करवा मे मधुबनी पुलिस सफल रहल। मुख्य आरोपी भीम यादव कें पुलिस बहुत दिन सं खोइज रहल छल। पुलिसक दिस सं भेटल जानकारीक अनुसार भीम यादव अपन पांचो संगी कें संग चाइर पहिया वाहन सँ कोनो नमहर घटनाकें अंजाम देवय जा रहल छल। गुप्त सूचनाकें आधार पर मधुबनी पुलिस टोल प्लाजा मनीगाछी लग सँ कुख्यात अपराधीकें गिरफ्तार केलक।
    गिरफ्तार आरोपी लग सँ 2टा पिस्टल, 7टा जिंदा कारतूस, 3टा मैगजीन, 8टा मोबाइल हैंडसेट, 1टा सफारी गाड़ी आ 12,540 रुपया नगद बरामद केलक। पुलिस कहलक की भीम यादव मधेपुर थाना क्षेत्र कें बीरपुर गांव कें  रहय वाला अहि। वो खुद कतेेकोबेर हत्या, अपहरण आ लूटपाट केर विभिन्न मामला मे जेल जा चुकल अहि। वर्तमान मे भीम यादव कंे भाई और बाप एखनहु जेल मे बंद छैक। मधुबनी एसपी मो अख्तर हुसैन कहला जे झंझारपुर डीएसपी समेत पांच थानाक पुलिस कें गिरफ्तारी टीम मे शामिल काइल गेल छल।
    अहि घटनाक बाद एक दिस मधुबनी पुलिसकें बहुत पैघ कामयाबी हाथ लगलैक अछि त दोसर दिस स्थानीय जनताक लेल सेहो इ नीक खबैर छैक। अगर भीम यादव गिरफ्तार नहि होइत त एक बेर फेर ओकर आपराधिक कुकृत्य सं आम जनताकें तबाह होमय पड़ितै।