मधुबनी बस दुर्घटना: बसक खलासी जयनगर सं गिरफ्तार, चालक एखनहु फरार

    0
    323

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक बसैठ मे भेल सोमदिन बस दुर्घटना के समय उक्त बसक खलासी के आय बेनीपट्टी पुलिस इंस्पेक्टर विनोद कुमार के नेतृत्व मे पुलिसक टीम जयनगर स गिरफ्तार कय लेलक अछि। जानकारी के अनुसार बसक खलासी’क नाम बिल्टू सहनी अछि जे पुपरी थाना क्षेत्रक रहय बला अछि। जहन कि बसक ड्राईवर एखनहु फरार बताओल जा रहल अछि।

    ज्ञात हो कि सोमदिन मधुबनी सं सीतामढ़ी जाय काल एकटा बस बेनीपट्टी के बसैठ गाम मे एकटा पोखरि मे खसि पड़ल। बस मे लगभग 50 टा यात्री सवार छल, जाहि मे सं एखन धरि बचाव कर्मी द्वारा लगभग 40 टा लहास बरामद कायल जा चुकल अछि, जहन कि बचाव कार्य एखनहु चली रहल अछि।