लाठी चार्जक विरोध मे एमएसयू’क प्रदर्शन

    0
    392

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा एकटा छात्र पर भेल लाठीचार्जक विरोध मे बेंता थानाक घेराव व एसपी कार्यालय के समक्ष दोषी पुलिसकर्मी के बर्खास्त करबाक लय प्रदर्शन कायल गेल। जाहि के नेतृत्व विश्वविद्यालय अध्यक्ष सागर नवदिया केलनि।

    जीतू झा नामक छात्र के विश्वविद्यालय सं घर जेबा काल ट्रैफिक पास करबाक क्रम मे एकटा पुलिसकर्मी लाठीचार्ज केने छल। छात्रक विरोध केला पर पुलिसकर्मी रौब देखबैत धक्का-मुक्की कय गिरफ्तार करबाक धमकी देलक। जाहि के विरोध मे संगठन दोनार सं विरोध मार्च निकाललक आ दोषी पुलिसकर्मी पर तत्काल कारवाई करबाक मांग केलक।