जमीनी विवाद मे सहोदर भाई आ भाउजक लेलक जान

    0
    294

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर मे जमीनी विवाद मे एकटा दंपत्ति के पीट-पीट कय हत्या कय देल गेल। जमीन बंटवारा मे भेल विवादक लेल सहोदर छोट भाई रॉड सं पैघ भाई के पिटाई कय देलक। पैघ भाई के बचाबय आयल पत्नी पर सेहो खूनी छोट भाई जानलेवा हमला कय देलक।

    ग्रामीणक मददि सं दूनू के एसकेएमसीएच आनल गेल, जतय इलाजक दौरान दुनूक मौत भय गेल। घटना मीनापुर थानाक नेउरा गामक अछि। मृतक दंपत्ति कृष्ण कुमार आ सीमा देवी बताओल  अछि। आरोपी भाई मनीष घटनाक बाद सं फरार अछि।

    अहि घटनाक बाद सं मृतकक माता-पिता बेसुध अछि आ किछु नहि बाजि पबैत अछि। घटनाक बाद पुलिस फिलहाल मामलाक जांच कय रहल अछि।