ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे नामांकन समितिक बैसक

    0
    285

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: शुक्रदिन कुलपति सचिवालय मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक नामांकन समितिक बैसक कायल गेल। जाहि मे बहुतो महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल। नामांकन समितिक बैसक कुलपति प्रो. राजकिशोर झाक अध्यक्षता मे कायल गेल।

    बैसक मे छात्र संकायाध्यक्ष डॉ. भोला चैरसिया, वाणिज्य संकायाध्यक्ष डॉ. हरेकृष्ण सिंह, मानविकी संकायाध्यक्ष डॉ. रामचन्द्र ठाकुर, सामाजिक विज्ञान संकायाध्यक्ष प्रो. धनेश्वर प्रसाद सिंह, भौतिकी विभागाध्यक्ष डॉ. अमरेश झा, चन्द्रधारी मिथिला विज्ञान महाविद्यालय के प्रधानाचार्य डॉ. अरविंद कुमार झा, कुलसचिव प्रो. अजीत कुमार सिंह, परीक्षा नियंत्रक डॉ. कुलानंद यादव आदि उपस्थित छलाह।

    नामांकन समितिक बैसक मे दूरस्थ शिक्षा निदेशालय द्वारा संचालित एम.ए. (शिक्षा) बी.लिस. तथा एम.लिस. मे नामांकनक लेल आवेदनक तिथि बढ़ा देल गेल अछि। आब नामांकनक लेल आवेदन 15 फरवरी तक कायल जायत। बैसक मे स्नातक एवं स्नातकोत्तर मे रिक्त सीट पर नामांकन लेबा पर विचार कायल गेल। जाहि मे निर्णय लेल गेल जे, अहि सिडिकेट पर विचार पहिने कायल जा चुकल अछि। एहेन स्थिति मे पुन: अहि मामलाक सिंडिकेटक समक्ष निर्णय लेबाक लेल उपस्थापित कायल जाय।