‘द हीरोज अवॉर्ड’ सं सम्मानित भेलाह विभिन्न क्षेत्रक अग्रणी व्यक्तित्व लोकनि

    0
    378

     

    उन्नत भारत एनजीओ द्वारा रविदिन दिल्लीक कॉन्स्टीट्यूशन क्लबमे हीरो केर वास्तविकता पर आधारित एकटा कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल। कार्यक्रम’क मुख्य उद्देश्य लीडरशिप पर उपस्थित गणमान्य लोकनि विचार विमर्श’क जानब छल।

    कार्यक्रम’क शुरूआत दीप प्रज्जविलत कए कायल जेल। जाहि मे मुख्य रूप सं भाजपा के पूनम आजाद, विजय जौली, विनोद कुमार बिन्नी, प्रो. किम कोरियन अमबेसी सहित बहुतो रास गणमान्य व्यक्ति भाग लेलनि। दीप प्रज्वलन के उपरांत कार्यक्रम के मुख्य बिंदु ‘लीडरशिप’ पर उपस्थित अतिथि अप्पन विचार प्रगट केलनि।

    अहि अवसर पर उन्नत भारत सोशल वेलफेयर सोासाइटी’क अध्यक्ष अभिषेक मिश्रा कहलनि जे, हमर सोसाइटी पिछला बहुतो बरख सं कार्य कए रहल अछि, आ हमर सभक मुख्य कार्य इ रहल अछि जे वास्तविक रूप सं देशक लेल काज करय बला व्यक्ति के एकटा मंच पर आनि सम्मानित करि।

    कार्यक्रम मे लीडरशिप’क सार्थकता के प्रमाणित करबाक लेल विभिन्न क्षेत्रक व्यक्ति के ‘द हीरोज अवॉर्ड’ सं सम्मानित कायल गेल। सम्मानित विशिष्ठ व्यक्ति मे डॉ. एस.के. ठाकुर, डॉ. असफ़ इक़बाल, डॉ. अंजलि नागपाल, डॉ. रोहित गर्ग, डॉ. सुनील मल्होत्रा, डॉ. अचल गुप्ता, डॉ. धर्मेंद्र सिंह, डॉ. जयप्रकश राय, डॉ. यू. डी. त्रिपाठी, डॉ. सुमित दूबे, डॉ. दिवाकर शर्मा, डॉ. मीतू खोसला, डॉ. नन्द कुमार, ललित नारायण झा, केज़हलावर इरालू, सोनू नारवान, उपेंद्र चौधरी, रमेश ठाकुर, ज्ञानेश कुमार, सलमा फ्रांसिस, विष्णु गुप्ता, प्रदीप कुमार, राहुल कुमार झा, मुद्रा शाही आ मिसेज़ निवेदिता मिश्रा शामिल छथि।