नशामे धुत काजीमोहम्मदपुर थाना प्रभारी गिरफ्तार

    0
    275

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: शराबक नशामे धुत काजीमोहम्मदपुर थानाक प्रभारी थानेदार रामेश्वर सिंहकें बृहस्पति दिन गिरफ्तार कए लेल गेल। एकटा सज्जन द्वारा जोनल आइजी सुनील कुमार आ एसएसपी विवेक कुमारकें अहि बातक जानकारी देल गेल छल।

    सूचना पर दुनू वरीय अधिकारी फौरन संज्ञान लेलनि आ जांचक लेल विवि थानेदार रामकुमार सिंहकें काजीमोहम्मदपुर थाना पठेलनि, जाहिमे आरोप सही निकलल। अहिकेँ बाद उत्पाद विभागक एकटा अफसरकें बजा ब्रेथ एनालाइजर सं जांचक कोशिश कएल गेल। मुदा, दरोगा आनाकानी करए लागल। काफी मशक्कतके बाद दरोगाकेँ हिरासतमे लेए जांच कराओल गेल। अहि दौरान दरोगा बहुतो बेर भागबाक प्रयास केलक।