मधुबनी बस हादसा मे मृतकक परिजन के देल गेल मुआवजा, 23 गोटे के मरबाक भेल आधिकारिक पुष्टि

    0
    386

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी बस हादसा मे अधिकारिक आ गैर अधिकारिक मृतकक आंकडा के लय क प्रशासन आ मिडिया मे तकरार बना रहल नेता सब के एबाक सिलसिला जारी अछि। अहि हादसा मे जिला प्रशासन 23 लोक के मारबाक पुष्टि केलक अछि। जहन कि गैर सरकारी आंकडा के अनुसार अहि हादसा मे 35 गोटेक मृत्यु भेल अछि।

    हालाँकि अहि मामला स इतेफाक राखैत मंत्री मदन मोहन झा कहलनि जे, जकर पोस्टमार्टम भेल अछि, हुनका चारि लाखक मुआवजा राशी देल गेल अछि। यदि कोनो मृत व्यक्ति पोस्टमार्टम स वंचित रहि गेल हो आ ओ मुआवजाक लेल दावा करैत हो त जांच पड़तालक बाद हुनको सभक परिजन के चारि लाख रुपैया मुआवजा देल जायत।

    मदन मोहन झा कहलनि जे, अहि बयान पर मोबाइल के द्वारा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो मोहर लगा देने छथि। आखिरकार 23 लोकक मरबाक पुष्टि कायल गेल अछि।