पुरुष वर्गक बाद भारतीय महिला सेहो केलनि एशियन चैम्पियंस ट्रॉफी पर कब्जा

    0
    302

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: भारतीय महिला हॉकी टीम शनिदिन चीन के 2-1 सं हरा कय पहिल बेर एशियन चैम्पियंस ट्रॉफीक खिताब जित लेलक अछि। भारत अंतिम मिनट मे पेनाल्टी कॉर्नर के बदौलत विजयी गोल करबा मेसफल रहल।

    मैचक पहिल गोल भारत केलक। लगातार आक्रामण कय रहल भारतीय टीम के 13वा मिनट मे पेनाल्टी कॉर्नर भेटल। दीप ग्रेस इक्का अहि पेनाल्टी के गोल मे बदलबा कोनो गलती नहि केली।

    44वा मिनट मे चीनक लेल झोंक मेंगलिंग बराबरीक गोल कय मैच के संतुलित कय देलनि। मुदा दीपिका अंतिम मिनट मे पेनाल्टी कार्नर पर गोल कय भारत के जीत दिया देलनि।

    भारत ई खिताब पहिल बेर जीतलक अछि। खास बात ई अछि जे एक सप्ताह पहिने भारतक पुरुष टीम सेहो फाइनल मे पाकिस्तान के हरा कय अहि खिताब पर कब्जा केलक अछि।