सुपौल, मिथिला मिरर: भारत-नेपाल सीमा लागल बिहारक सुपौल जिलाक वीरपुर थाना क्षेत्र के सतना बार्डर आउट पोस्ट के समीप सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी) के जवान बुधदिन भारी मात्रा मे शराब आ गांजा बरामद केलक अछि।
एसएसबी 45’म बटालियन के समादेष्टा राम अवतार भलोछिया कहलनि जे, सूचना भेटल छल जे, तस्कर शराब आ गांजाक खेप लय नेपाल स आबि रहल अछि। अहि आधार पर सतना बार्डर आउटपोस्ट के समीप घेराबंदी कायल गेल। जवान के देखितहि एकटा कार पर सवार तस्कर फरार भय गेल। फिलहाल पुलिस फरार तस्करक खोज मे जुटल अछि।