आंगनबाड़ी केंद्र पर सोमदिन सं अनिश्चितकालीन ताला

    0
    290

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: 27 मार्च सं आंगनवाडी सेविकाक पटनामे राज्यव्यापी आंदोलन शुरू हेबा सं जिलाक आंगनबाड़ी केंद्रक संचालन सोमदिन सं ठप रहत। अपन समस्याक समाधानक लेल सेविका आर-पारक लड़ाई लड़बाक तैयार अछि। पटना सचिवालयकें समक्ष अनिश्चितकालीन आंदोलन शुरू करबाक लेल आंगनवाड़ी सेविका तैयार छथि। जाहिमे जिलाक सब प्रखंडक सेविका शामिल हेतीह।

    आंदोलनक लेल शुक्रदिन आंगनबाड़ी कर्मचारी संघक महानगर इकाईकें बैसक अध्यक्ष कुमारी ममता’क अध्यक्षतामे कएल गेल। ओ कहलनि जे, सेविका अपन हकक लेल आर-पारक लड़ाई लड़तीन। पूरा प्रदेश सं सेविका पटनामे एकजुट भए अपन समस्या सं सरकारकें अवगत कराओत।

    एम्हर, जिला महासचिव प्रतिमा कुमारी कहलनि जे, जा धरि हमर सभक समस्याक समाधान नहि होएत, आंदोलन जारी रहत। ओ कहलनि जे, 27 कए ट्रांसपोर्ट फेडरेशनक हड़तालक कारने सेविका ट्रेन सं पटना रवाना हेतीह।