झंझारपुर मे कोहरा के कारण ट्रेनक चपेट में एला सं अधेडक मौत

    0
    337

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर आरएसओपी के नबटोल गुमती के समीप सोमदिन राति ट्रेन स कटि कय एकटा अधेड़क मौत भय गेल। मृतक पहिचान नवटोल पुरना पोखरि निवासी 55 वर्षीय बिहारी शाह के रूप मे कायल गेल अछि, ओ होम गार्डक जवान छल। घटना रातिक करीब एक बजे के अछि।

    सूत्रक अनुसार बिहारी शाह मधुबनी जेबाक लेल घर स निकलल छल। अहि बीच लोकहा स सकरी जाय वला ट्रेन झंझारपुर स्टेशन स खुजि गेल। शाह नबटोल गुमती के समीप ट्रेन के पकड़बाक कोशिश केलनि, जहन ट्रेनक रफ्तार कम छल। मुदा घना कोहरा के कारण पायदान स पाँव पिछड़लाक कारने ओ ट्रेनक चपेट मे आबि गेल।

    साह के एकटा पैर कटि गेल आ ट्रेन घसीटईत काफी दुर धरि लय गेल। जहन ट्रेन रूकल त ओ पूर्ण रुपे जख्मी भय गेल छल। बाद मे जख्मी हालत मे ईलाजक लेल अनुमंडल अस्पताल लय जायल गेल, मुदा इलाजक दौरान शाह के मौत भय गेल।