ट्रांसफार्मर जरलाक बादो आयल बिजली बिल के विरोध मे ग्रामीणक प्रदर्शन

    0
    304

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बेनीपुर अनुमंडल क्षेत्रक आदर्श पंचायत नवानगर नरमा अंतर्गत श्यामपुर गामक सैकड़ो दलित एव महादलित परिवार बिना विधुत आपूर्ति के विपत्र भेजबाक आरोप मे माले’क बैनर तर बेनीपुर के विधुत कार्यालय परिसर मे आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन केलनि।

    कार्यक्रम के संबोधित करैत पार्टीक प्रखंड सचिव अवधेश कुमार सिंह कहलनि जे, विगत 13 वर्षे सं ट्रांसफार्मर जरल अछि, जाहि के प्रति विभाग उदासीन बनल अछि। मुदा अहि महादलित गरीबक नाम हजारो रुपैयाक बकाया बिल पठाओल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे, एक दिस पंचायत के सांसद द्वारा आदर्श गामक दर्जा दय विकासक ढिंढोरा पीटल जा रहल अछि, ओतहि दोसर दिस महादलितक सैकड़ो परिवार बिजलीक रौशनी के लेल तरसि रहल अछि।

    प्रदर्शनकारी अहि संबंध मे एकटा ज्ञापण देलनि। ओना विभागीय एसडीओ गुंजन कुमार अहि मामलाक प्रति अनभिज्ञता जाहिर करैत जाँच करेबाक बात कहलनि, जहन कि अलीनगर जेई चंडीचरण दास कहलनि जे, वर्ष 2003 मे ट्रांसफार्मर त लागल मुदा चार्ज करबा के क्रम मे जरि गेल।