पूर्व मुखियाक हत्यारा के एक सप्ताह मे गिरफ्तार करबाक मांग

    0
    269

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के पारू प्रखंडक जगदीशपुर बाया पंचायतक पूर्व मुखिया सह मुखियाक पति अमरेंद्र कुमार अमर के हत्याराक 10 दिन बाद धरि पुलिस द्वारा गिरफ्तार नहि करबा के खिलाफ लोक अमरेंद्र कुमार अमर न्याय संघर्ष मोर्चा के बैनर तर अमर भगत चौक पारू के समीप धरना देलनि। जाहि मे एक सप्ताह के भीतर हत्याराक गिरफ्तारीक माग कायल गेल अछि। गिरफ्तारी नहि भेला पर आंदोलनक चेतावनी देल गेल।

    धरना के रालोसपाक प्रदेश महासचिव मदन चौधरी, न्याय संघर्ष मोर्चा के संयोजक व पूर्व जिला पार्षद मदन प्रसाद, जलेशवर प्रसाद सहनी, राजद के प्रखंड अध्यक्ष सत्यदेव पंडित, जदयू के प्रखंड अध्यक्ष रविंद्र महतो, लोजपा के प्रखंड अध्यक्ष जालंधर राम, अरुण कुमार सिंह, राजेश्वर प्रसाद यादव, गणेश कुशवाहा, सुकदेव बैठा, सुरज प्रसाद कुशवाहा, सीपीआइ के योगेंद्र राय, चंदन सहनी, हरेंद्र पासवान, मो माजिद मनोज पटेल आदि संबोधित केलनि।