पाग-दोपटा सं सम्मानित भेलाह आईएएस गुरूः डॉ. शेखर झा

    0
    354

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिली भाषा सं एखन धरि जतेको बच्चा संघ लोक सेवा आयोग परीक्षा पास कऽ विभिन्न पद पर छथि ओहिकें सब सं अधिक श्रेय डॉ. शेखर झा केर जाइत छन्हि। डॉ. झा अहू बेर अपना मंथन इंस्टीट्यूट सं 15 गोट बच्चा केर संघ लोक सेवामे सफल बना मिथिला-मैथिलीक नाम करवाक लेल भेजलनि अछि, अहि बेर खास बात इ रहल जे मैथिली भाषा सं पहिल बेर कोनो मैथिलानी सेहो संघ लोक सेवा आयोगक परीक्षामे सफलता प्राप्त कऽ मिथिलाक गौरवकें बढ़ौलनि। एखन धरि कम सं कम 75टा सं बेसी बच्चा हुनका लग सं सफल भय नाम कमा रहल अछि।

    डॉ. शेखर झा केर अहि सफलता पर मिथिलालोक फाउंडेशन केर चेयरमैन आ डॉ. शेखर झा केर गुरू रहल डॉ. बीरबल झा हुनका मिथिलालोकक पाग आ दोपटा पहिरा सम्मानित कैलनि। अपना गुरूक हाथे सम्मान भेटला सं गदगद डॉ. शेखर झा कहला जे हमरा लेल इ अहोभाग्यक बात अछि जे हम भाईजी सं सम्मानित भय रहल छी। सम्मान प्राप्त केलाक बाद मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा सं बातचीत करैत डॉ. शेखर झा कहला जे मैथिलीमे काज करब कतेक मुश्किल छै ओ ललित भाई नीक जेना जनैत छथि, कारण ओ स्वयं मैथिली भाषाक उत्थानक लेल दिन-राइत मेहनत कऽ रहला अछि।

    मैथिली भाषामे काज करब आईकें तारीखमे सहज नहि भेल अछि जखन कि हमरा ओहिठाम सं 75टा सं बेसी बच्चा सफलता प्राप्त कऽ चुकल अछि। एखनो धरि बजारमे हमरा प्रति नानान तरहक भ्रम परोसल जाइत अछि। दिल्लीक मुखर्जी नगरमे संपन्न भेल अहि कार्यक्रममे हिन्दी आईएएस गुरू आईएएस अजय अनुराग, डॉ. बीरबल झा, सुधीर झा संगहि मिथिला मिररक संपादक उपस्थित छलाह।