मिथिला मिरर-पटनाः लगातार भऽ रहल रेल हादसाक बीच मंगलदिन भोर-भोर एकटा आओर भीषण रेल हादसाक खबरि सँ देशभरि मे अफरा-तफरी मचि गेल। मंगलदिन भोरे करीब 3ः45 बजे हावड़ा-सीएसएमटी अर्थात हावाड़ा-मुंबइ मेल ट्रेनक 18 गोट बाॅगी पटरी सँ उतरि गेल। एहि भीषण हादसा मे कम सँ कम 2 गोटेक मृत्यु आ करीब 100 गोटेक घायल होयबाक खबरि भेट रहल अछि। हलांकि पहिने घायलक संख्या 20 कहल जा रहल छल मुदा धीरे-धीरे एहि मे बढ़ौतरी भेल गेल। दक्षिण-पूर्व रेलवेक चक्रधरपुर मंडलक अंतर्गत जमशेदपुर सँ करीब 80 किलोमीटर दूर बड़ाबम्बूक नजदीक ई घटना भेल।
घटनाक बाद चक्रधरपुर केँ अपर मंडल रेल प्रबंधक, मेडिकल टीम, मुख्य चिकित्सा अधीक्षक, सीनियर डीसीएम सहित अन्य आलाधिकारी घटनास्थल पर पहुँच गेलाह। जाहि समय मे ई घटना घटल ओहि समय मे अधिकांश यात्री नींद मे छलाह। झारखंडक मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन घटना केँ संज्ञान मे लैत राहत आ बचाव कार्य तेज करबाक आदेश देलनि अछि। रेलवे द्वारा सेहो राहत एवं बचाव कार्य केँ जोर-शोर सँ चलाओल जा रहल अछि। एहि घटनाक बाद हावड़ा-मुंबइ रेल लाइन बाधित रहल। कतेको ट्रेन केँ बीच रस्ता मे रोकि देल गेल तँ कतेकोक मार्ग मे परिवर्तन कयल गेल।
एहि घटना सँ संबंधित किछु हेल्पलाइन नंबर सेहो जारी कयल गेल अछि ओ एहि प्रकारेण अछि।
मुंबई 022-22694040,
भुसावल 08799982712,
नागपुर 7757912790,
टाटा 0657-2290324,
चक्रधरपुर 06587-238072,
राउरकेला 0661-2501072 और 0661-2500244
झारसुगुड़ा 06645-272530
हावड़ा 9433357920, 033-26382217, शालीमार 7595074427, 6295531471 खड़गपुर 03222-293764