56 लाख रुपैयाक गाजा के संग दू टा तस्कर गिरफ्तार

    0
    291

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: एनएच 57 के गायघाट थाना क्षेत्रक मैथी टोल प्लाजा के समीप 220 किलो गाजा के संग दू टा तस्कर के गिरफ्तार कायल गेल अछि। ई गाजा पश्चिम बंगाल के सिलीगुड़ी से छोटका ट्रक पर लोड कय क लखनऊ लय जेबाक लेल आनल जा रहल छल।

    अहि बातक सूचना मुजफ्फरपुर के डीआरआई टीम के भेटल आ टीमक प्रयास सन गाजा के संग तस्कर के पकडल जा सकल। पकडल गेल गाजा के अनुमानित कीमत 56 लाख लगाओल जा रहल अछि। सूत्रक अनुसार गाजा के ट्रक पर अनारस के नीचां नुका कय लय जा रहल छल। ट्रकक चालक आ खलासी दुनु पश्चिम बंगाल के मुर्शिदाबाद जिला के रहय बला बताओल जा रहल अछि।